Site icon हमर मिथिला

बिहार दिवस काल्हि (२२/०३/२०२२) छल, कोना मनायल गेल बिहार दिवस.

Map of Bihar

बिहार दिवस सब साल २२ मार्च क मनायल जायत अछी, ई बिहारक स्थापना दिवस थीक. अहि दिन बिलायती सरकार १९१२ ईशा में बंगाल स पृथक ईगो राज्य बनेलक जेकर नाम भेलई बिहार, तैं एखनुक बिहार सरकार प्रति वर्ष २२ मार्च क बिहार दिवसक छुट्टी दैत अछि. बिहार कोनो प्रकारार भाषा अथवा सांस्कृतिक आधार पर बनायल गेल प्रान्त नहीं छैइ, एकरा मात्र ब्रिटिश सरकार अपन प्रशासनिक सुविधा लेल बंगाल स अलग केलक, एकर राष्ट्रीयता पर सीधा प्रभाव ई परलइ जे लोकक स्वतंत्रताक वास्ते  आपसी सम्बन्ध बेसी दिन तैक नहीं बनल रहल. एहि कारणे स्वतंत्रताक संग्राम में बिहार क्षेत्रक योगदान नगण्य लागैत अछि. किछु सम्पादक आपसी वैमनस्यता बढेबाक लेल बंगाली द्वारा बिहारी के शोषण के पृथक राज्य बनेबाक कारण कहैत छथि आ ई बात सोलहो अन्ना गलत अछि. आई जदि बिहारक क्षेत्र बंगालक संगे रहैत त शिक्षा, इत्यादि  में हम सब मिली क विश्व में नाम करितों.

बिहार दिवस समस्त बिहार में लोक सब नहीं मनेलैथ, सरकार विज्ञापन के द्वारा मनबेलैथ, कारण ई छल जे बिहार दिवस मनेबाक कोनो औचित्य नहीं अछि.

साझी करु
Exit mobile version