Site icon हमर मिथिला

वन्दे भारत मिशन के अंतर्गत कुवैत स १७१ भारतीय काल्हि राती चेन्नई पहुंचला ।

वन्दे भारत अभियान के अंतर्गत काल्हि राती एगो विमान १७१ भारतीय नागरिक के ल क चेन्नई आयल । अई में चारिगो नबजातक सेहो सम्मिलित छथि ।

मिशन के अंतर्गत दोहा स आयल विमान काल्हि भोरे केरल के कोच्ची पहुचल छल । अहि विमान स १७८ भारतीय के वापस लायल गेल रहय ।

मिशन के अंतर्गत उज्बेकिस्तान स सेहो २१ भारतीय नया दिल्ली पहुचला । विदेश मंत्री सुब्रमनियन जयशंकर कहलनि जे ई उड़ान वापसी में भारतीय सहायता के रुपे चिकित्साक सामान आर उज्बेकिस्तानक नागरिक के ल क ताशकंद जायत । विदेश मंत्री ताशकंद में भारतीय दूतावास में राजदूत संतोष झाक नेतृत्व में भ रहल नीक कार्यक प्रशंशा केलनी ।

विभिन्न देश सब में फँसल भारतीय नागरिक सबके वापस लाब लेल विश्वक सबस पैघ अभियान वन्दे भारत सुचारू रूप स चली रहल अछि । वन्दे भारतक पहिल चरण सात मई क शुरू भेल आर अई के अंतर्गत १२ देश में फँसल लगभग १५ हजार भारतीय नागरिक सबके वापस लाबक जोजना बनायल गेल । पहिल चरण में ६४ गो विमान संचालित कयल जा रहल अछि ।

साझी करु
Exit mobile version