Site icon हमर मिथिला

दरभंगा आ मुजफ्फरपुर में खुजत सुपर स्पेशलिटी अस्पताल

केन्द्रीय स्वस्थ्य आ परिवार कल्याण मंत्री अश्विनी कुमार चौबे जी मुजफ्फरपुर आर दरभंगा मेडिकल कॉलेज एवम् अस्पताल में सुपर स्पेशलिटी ब्लाक (भवन) निर्माणक आदेश देलनि जाहि स इ सामान्य लोक लेल जुलाई तैक भ जै ।

मंत्रीजी दुनु सुपर स्पेशलिटी ब्लाक में जल्दिये ओपीडी सेवा उपलब्ध करेबाक निर्देश देलनि ।

मंत्रीजी नया दिल्लिक समीक्षा बैसार में जत दरभंगाक सांसद गोपाल जी आर विनिर्माण कंपनीक अधिकारी लोकनी उपस्थित रहथि, ई निर्णय लेल गेल जे सुपर स्पेशलिटी ब्लाक के उद्घाटन आर आब बला अखिल भारतीय आयुर्विज्ञान संसथानक निर्माणक नींव प्रधान मंत्री नरेन्द्र मोदी रखताह । स्वास्थ्य मंत्री अधिकारीगन के कहलनि जे काजक प्रतिदिनक प्रागतिक रिपोर्ट देथि आर नीक परिणामक लेल केन्द्रीय व राज्य सरकार के बीच सामंजस्य बनाबैथ ।

“प्रत्येक जिला में एगो क अस्पताल आ प्रत्येक ब्लाक में एगो क परिक्षण स्थान बनत” चौबे जी कहलैथ ।

समाद पत्र के प्राप्त करू

साझी करु
Exit mobile version