Site icon हमर मिथिला

बाईढ़ के स्थिति में कोनो सुधार नहीं ।

मिथिला में बाढीक स्थिति में कोनो तरहक सुधार नहीं देखल गेल ।

बीतल २४ घंटाक भीतर कतेको नब स्थान बाढ़ी के चपेट में आयल जाहि कारणे बाढ़ी सं पीड़ित के संख्या बढ़ी क ७१००००० सं बेसी भ गेल अछि । १६ गो जीलक १२४ प्रखंड में १२०० पंचायत बाढ़ी सं प्रभावित अछि । बाढ़ी में भंसल ५००००० स बेसी लोक के सुरक्षित स्थान पर पहुचायल गेल । समस्तीपुर आ सहरसा में बान्ह तुतला स बहुत नब क्षेत्र में पइन घुसी गेल । समस्तीपुर जिला में एखन २५०००० स बेसी लोक बाढ़ी स प्रभावित अछि । सरन में बाढ़ी रूकक नामे नहीं लई अछि, लगभग ७००००० लोक बाधिक चपेट में अछि ।

गोपालगंज जिला में बाढीक तबाही रोक लेल टूटल बान्हक मरम्मत कायल जा रहल अछि । बाढ़ी स गोपालगंज में लगभग ४००००० लोक प्रभावित छथि । बैकुंठपुर प्रखंडक सब गामक संपर्क लगत १५ दिन स प्रखंड स कतल अछि । लोक सबके नाव अवं स्टीमर स भोजन व अन्य आवश्यक वास्तु पहुचायल जा रहल अछि । बाढ़ी स पश्चिम चंपारण में केसरिया स्थान के बुद्ध स्तूपक एगो हिस्सा ध्वस्त भ गेल । बुद्ध स्तूप पूर्णतः सुरक्षित बतायल गेल ।

शिवम् कुमार नामक व्यक्ति ट्विटर पर लीखलनी :

मुजफ्फरपुर में बागमती आर बूढी गंडक के जलस्तर में वृद्धि के कारन १४ प्रखंडक १४००००० स बेसी लोक बाढ़ी स प्रभावित छथि । बाढ़ी राहत काज में देरी के कतेको ठाम विरोध प्रदर्शन कायल गेल । दरभंगा जिला में बाढ़ी के सब स बेसी प्रकोप अछि, मुदा राहत ? एत १९००००० स बेसी लोक बाढ़ीक चपेट में छथि । दरभंगा शहरी अंचल में सेहो कतेको ठाम बहूत जल जमी गेल अछि । जान्कारिक अनुसार जिला में बागमती, गरेर आर धार सब लगातार खतरा के नीसान स बेसी पर बही रहल अछि ।

हायाघाट, हनुमाननगर, सिंघवारा, केवटी आदि प्रखंडक शतको गाम बाढ़ीक पैइन स घेरायल अछि । दरभंगा व् समस्तीपुर रेल एवं पथ मार्ग एखनो बंद अछि । बाढ़ी एवं कोरोना दुनु के प्रकोप तहिना छै । राहत आर बचाव के कार्य चलाओल जाइये लेकिन नाम मात्र लेल आ खाली नाम कमाए लेल । सीतामढ़ी जिला में धारक जलस्तर घातला स पैइन निकैल रहल अछि । एखन धरी प्राप्त जानकारी के अनुसार ७.५ लाख एकड़ में लागल फसल नोकसान भेल अछि । कृषि मंत्री कहलनि जे बाढ़ी समाप्त भेलाक बाद क्षति पूर्ती देल जायत । जिनकर पशु बाढ़ी स मरलानी तिनका प्रति पशु ३०,०००/- रुपैया क्षतिपूर्ति देल जा रहल छनि ।

गंगा के जलस्तर में सेहो पटना, मुंगेर व भागलपुर में बढ़ोतरी देखल गेल । बागमती हायाघाट में खतरा के संकेत स २ मीटर ऊपर बही रहल अई । कमला व बलान धार के जलस्तर सेहो लाल संकेत स ऊपर अइ । अगला २ दिन में भारी बर्षा होबक अनुमान जतायल जा रहल अछि । बज्र खसक आशंका सेहो बनल अछि ।

साझी करु
Exit mobile version