गूगल मीट नामक ऑडियो आर विडियो मीटिंग एप्प भारत में उपलब्ध भेल आर ओहो मुफ्त में । पाहिले एकर नाम गूगल हैंगआउट रहय । एकरा अयला सं वर्तमान में भारत में मुफ्त आ प्रीमियम विडियो कालिंग सर्विस देब बला ज़ूम मीटिंग के कड़ा टक्कर भेटत कियाक जे जूम में बेसिक आ प्रीमियम दू प्रकारक सेवा के व्यवस्था छई जखन कि गूगल मीट में अहि तरहक कोनो बात नहीं छई । एकर अलावा गूगल मीट गूगल (अल्फाबेट) जेहन पैघ कंपनीक उत्पाद होबक कारणे बेसी विश्वसनीय सेहो अछी । गूगल मीट डेस्कटॉप आ मोबाइल एप्प दुनु रूप में भारत में आगमन केलकै । डेस्कटॉप पर देख लेल अहि लिंक पर जा सकैत छी आ प्ले स्टोर बा एप्प स्टोर सं डाउनलोड करय लेल ओहि ठाम लिंक भेटत ।
गूगल एही सेवा के प्रत्यक्ष रूप स जीमेल में आर जी सूट उपलब्ध करौकल ।
