Site icon हमर मिथिला

रक्षा अनुसंधान आर विकास संगठन (DRDO) इलेक्‍ट्रॉनिक उपकरणके, कागजके आर मुद्रा नोटके संक्रमण मुक्‍त करबाक लेल स्‍वचालित अल्‍ट्रॉवायलेट प्रणाली विकसित केलक ।

हैदराबाद में रक्षा अनुसंधान आर विकास संगठन (DRDO) केर प्रयोगशाला में विद्युतीय उपकरण के, कागज के आर मुद्रा नोट के संक्रमण मुक्त करबाक लेल एगो स्वचालित अल्ट्रावायलेट प्रणाली विक्सित कयल गेल । रक्षा मंत्रालय कहलनि जे ई उपकरण “डिफेन्स रिसर्च अल्ट्रावायलेट सेनेटाइज़ेर” के मोबाइल फ़ोन , आई पैड , लैपटॉप, मुद्रा नोट, चैकबुक, चालान , पासबुक, कागज आर लिफाफा के संक्रमण मुक्त करबाक लेल बनाओल गेल अछि । अई उपकरण स मुद्रा नोटक बंडल के सेहो संक्रमण-मुक्त कयल जा सकैत अछि ।

अई उपकरणक सञ्चालन संपर्कहीन छई जे विषाणु के प्रसार के रोक लेल महत्वपूर्ण छई ।ई एगो डिब्बा के भीतर राखाल चीज के ३६० डिग्री पर अल्ट्रावायलेट किरणक संपर्क में लाबैत छई । एक बेर उपयोग भेलाक बाद ई उपकरण स्वतः बंद भ जायत छई आर संचालक के एकरा लग ठाड़ रहबाक कोनो आवश्यकता नहीं ।

साझी करु
Exit mobile version