प्रधानमन्त्री नरेन्द्र मोदी कोविड – १९ सं लड़ लेल बेसी केन्द्रित दृष्टिकोण अपनाब के आवश्यकता पर जोर देलनि । ओ कहलनि जे आब संक्रमण के प्रसार के कम कर पर ध्यान देल जाय । ई सुनिश्चित कर पर सेहो ध्यान देब के चाहि जे जन गण सुरक्षित दूरी बनेबाक संगे पुर्णतः सावधान रहथि ।
प्रान्त सब के मुख्यमंत्री संगे वीडियो कॉन्फ़्रेंसिंग में श्री मोदी कहलथि जे सरकार सबके सुनिश्चित कर पर्तैन जे ग्रामीण भारत अहि संकट सं मुक्त रहै । प्रधानमंत्री कहलनि जे कोविड – १९ सं निपट में भारत के सफलता के विश्व भरी में स्वीकारल गेल । केंद्र सरकार अहि सम्बन्ध में सब राज्यक प्रयास के सराहना करैत अछि । रक्षा मंत्री राजनाथ सिंह , गृह मंत्री अमित शाह, वित्त मंत्री निर्मला सीतारमण आर स्वस्थ्य मंत्री हर्षवर्धन सेहो अहि बैसार में उपस्थित छलाह । मार्च में राष्ट्रव्यापी लॉकडाउनक बाद प्रधान मन्त्री के मुख्यमंत्री सब संग ई पंचम विडियो कांफ्रेंस छलनि । अहि बैसार में भविष्य के रूप रेखा बनाओल गेल ।



